Monday, October 2, 2017

हम कोनो गरीब छी

हम कोनो गरीब छी
नई भेटल बीपीएल नई भेटल एपीएल
हम कोनो गरीब छी
नई बनल कार्ड लाल नई पिअर
हम कोनो गरीब छी
नई बनल शौचालय नई भेटल आवास
हम कोनो गरीब छी
नई भेटैत अई विकलांग भाई आ बुढ़ माय के पेंशन
हम कोनो गरीब छी
नई मिलै आ आरक्षण नई सरंक्षण
हम कोनो गरीब छी
बाढ़ में सब दहा गेल किस्मत के जड़ा गेल
उपरे उपरे सब खा गेल
हम कोनो गरीब छी
इम्हर ओम्हर बौआई छी
केंहुतै कमा के खाई छी
हम कोनो गरीब छी

"प्रकाश कुमार"

No comments:

Post a Comment